Font by Mehr Nastaliq Web

आब चुप रहने चलत नहि काज

aab chup rahne chalat nahi kaaj

मार्कण्डेय प्रवासी

मार्कण्डेय प्रवासी

आब चुप रहने चलत नहि काज

मार्कण्डेय प्रवासी

और अधिकमार्कण्डेय प्रवासी

    आब चुप रहने चलत नहि काज!

    फेर झपटैए गमैया कबूतरकेँ—

    चोख चाँगुरसँ बनैया बाज!!

    शांति अछि कश्मीरमे हारल-पछाड़ल

    शांति अछि सभ ठाँ हमर रक्तेँ छछारल

    शांति अछि बम-काण्डसँ मारल-झमारल

    शांति अछि पटुआ-जकाँ गोड़ल कि गारल

    अछि खसाओल जा रहल सद्भावनापर

    आइ हँसि दुर्भावनाकेर गाज!

    एक आँगन छल मुदा अछि आइ आधा

    सांस्कृतिक गति, लय, प्रगतिमे आइ बाधा

    काल्पनिक इतिहासकेर भूगोल छी हम

    राम-सीता होथु अथवा कृष्ण-राधा

    हमर अपने समाजक किछु लोककेँ—

    नहि अबै छै आइ बिकने लाज!

    चन्द बरदाई कतय छथि, देथु शिक्षा

    भूषणक कविताक अछि आकुल परीक्षा

    आइ विद्यापति तथा दिनकरक अछि—

    पूर्व जन्महुँसँ अधिक आतुर प्रतीक्षा

    आइ अपने देश-रागक तानकेँ—

    कहि रहल आतंक देसी साज!

    आब चुप रहने चलत नहि काज!!

    स्रोत :
    • पुस्तक : हम भेटब (मैथिली गीत-नवगीत संग्रह) (पृष्ठ 15)
    • रचनाकार : मार्कण्डेय प्रवासी
    • प्रकाशन : जखन-तखन, दरभंगा
    • संस्करण : 2004

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY