Font by Mehr Nastaliq Web

बसाबह गाम अप्पन

basabah gaam appan

मार्कण्डेय प्रवासी

मार्कण्डेय प्रवासी

बसाबह गाम अप्पन

मार्कण्डेय प्रवासी

और अधिकमार्कण्डेय प्रवासी

    कतहु अछि

    काँट, पाथर, खाधि सड़केपर!

    कतहु अछि बाघ, व्याधा, व्याधि सड़केपर!!

    कठिन अछि बाटपर चलनाइ,

    संकटमय परिस्थिति अछि,

    तरह-तरहक उचक्का तीर रहले साधि सड़केपर!

    कतय छथि राम-लछुमन,

    मैथिलीकेर अपहरण होइछ,

    डटल अछि पुन: रावण गाड़ि खंती आइ सड़केपर!

    बिसरि भलमानुसक—

    संस्कार-हार विचार सभ सगरो,

    मुतै छथि ठाढ़ भऽ, कऽ रहल छथि पहुनाइ सड़केपर!

    लड़ै छथि फोड़िकऽ चूड़ी—

    सोहागिन कतहु पतियेसँ,

    कतहु जुत्तम-जुतौअलि भाइसँ अछि आइ सड़केपर!

    प्रवासी हो, गजल मिथिलाक—

    मिथिलामे सुनाबह तोँ,

    बसाबह गाम अप्पन, त्यागिकऽ नगराइ सड़केपर!

    स्रोत :
    • पुस्तक : हम भेटब (मैथिली गीत-नवगीत संग्रह) (पृष्ठ 94)
    • रचनाकार : मार्कण्डेय प्रवासी
    • प्रकाशन : जखन-तखन, दरभंगा
    • संस्करण : 2004

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY