Font by Mehr Nastaliq Web

भविष्य दिस तकैत

bhavishya dis takait

आनन्द मोहन झा

आनन्द मोहन झा

भविष्य दिस तकैत

आनन्द मोहन झा

और अधिकआनन्द मोहन झा

    भविष्य दिस तकैत

    भविष्यकेँ देखैत

    वर्तमानमे निर्णय लेब, नीक

    मुदा...

    भविष्य सुनिश्चित करबा लेल

    वर्तमानकेँ संकटमे देब

    कतेक ठीक

    दूरदृष्टि नीक

    चहुँमुखी दृष्टि बेस नीक

    नजरि गड़ल हो लक्ष्य पर

    मुदा...

    बाटसँ भटकब

    कतेक उचित

    अपन देश होयत काल्हि विश्वगुरु

    ताहि लेल बलिदान आवश्यक

    मुदा...

    सामूहिक संहार

    कतेक उचित?

    स्रोत :
    • पुस्तक : नो मेन्स लैण्ड पर ठाढ़ कवि (पृष्ठ 92)
    • रचनाकार : आनन्द मोहन झा
    • प्रकाशन : नवारम्भ, मधुबनी/पटना
    • संस्करण : 2024

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY