Font by Mehr Nastaliq Web

स्थिति

sthiti

धूमकेतु

धूमकेतु

स्थिति

धूमकेतु

और अधिकधूमकेतु

    एकटा समुद्रक अतलतलमे धधकि उठलैक ज्वालामुखी

    आर्तनाद कऽ उठलैक ज्वारि

    तटशिलापर माथकेँ पटकि-पटकि

    सधि गेलैक—सुखा गेलैक।

    ओही काल रात्रिमे

    फूटि गेलैक चन्द्रमा छहोछित्त

    ज्योति ओकर टप-टप-टप चूबि-चूबि

    लहरि-लहरि पाटि गेलैक

    कण-कणमे समा गेलैक—बिला गेलैक।

    तरंगक पहाड़ चढ़ल नोआकेर भरल नाओ

    छहलि गेलैक बूड़ि गेलैक

    कालक गर्भसँ जेना भविष्यक भ्रूण निछा गेल होइक।

    नान्हिञेटा चीत्कार, कनिञेटा हाहाकार

    फेर सभ शान्त जेना

    श्मशानक कंकालकेँ खड़खड़बैत बिड़रो चल गेलैक।

    सूर्य धरि छैके

    धरतीयो घुमिते छैक अपन कीलपर

    मुदा एक गोलार्ध धसि गेलैक

    दोसरमे दड़कि गेलैक क्रेटर अतलान्त

    स्याह तप्त लावाकेर पमारामे ध्वस्त पोत जकाँ

    थरथर थरथराइत क्षितिज डुबि गेलैक

    स्वप्न रंगी स्वप्न सनक अनभुआर एकटा मोरनी

    ता-थैया नचैत-नचैत फड़फड़ा कऽ

    खसि पड़लैक खौलैत अलकतरामे

    माटिमे-पानिमे, आकाश-पातालमे

    बर्फमे-बसातमे, इजोत-अन्हारमे

    जतऽकतौ मनुक बेटा बाँचल छैक बेचारा

    हुकरैत छैक अपरिहार्य श्वासक भारसँ

    कुहरैत छैक घोर आत्मदाहसँ।

    स्रोत :
    • पुस्तक : मैथिलीक नव कविता (पृष्ठ 167)
    • संपादक : रामकृष्ण झा ‘किसुन’
    • रचनाकार : धूमकेतु
    • प्रकाशन : सांस्कृतिक विभाग, राष्ट्रीय सार्वजनिक मेला समिति, सुपौल, बिहार
    • संस्करण : 1971

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY