Font by Mehr Nastaliq Web

मीठ-मीठ दर्द हमर

meeth meeth dard hamar

सुधांशु ‘शेखर’ चौधरी

सुधांशु ‘शेखर’ चौधरी

मीठ-मीठ दर्द हमर

सुधांशु ‘शेखर’ चौधरी

और अधिकसुधांशु ‘शेखर’ चौधरी

    मीठ-मीठ दर्द हमर तीत—तीत मोन,

    दिन-देखार हेरा गेल हमर हियक सोन

    बिजुरी तँ चमकैए कतहु नै घटा,

    खाली अछि, खुक्खे अछि हमर हृदय-कोन

    बेढ़ल फुलवारी अछि फूलक नै पता,

    गाछ नै बिर्छ नै उपटल सन बोन

    साङह अछि पानि अछि कतहु ने लता,

    दुनियामे छथि नै मानय ने मोन

    देखलहुँएँ, देखै छी हुनकर छटा,

    आँखिमे नुकायल सन हमर मीठ सोन

    स्रोत :
    • पुस्तक : गजल ओ गीत
    • रचनाकार : शेखर प्रकाशन, पटना
    • प्रकाशन : सुधांशु ‘शेखर’ चौधरी
    • संस्करण : 1991

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY