Font by Mehr Nastaliq Web

चप्पल

chappal

रोशन जनकपुरी

अन्य

अन्य

और अधिकरोशन जनकपुरी

    तहिया

    सड़क गर्म केने रहै

    चप्पलसब

    जकर चुल्हा रहै ठंढा

    पेट रहै खाली,

    अपन चुलहाक पक्षमे

    अपन खाली पेटक पक्षमे

    चप्पलक चापसँ

    ठंढा चुलहाक तापसँ

    जनमलै एकटा ज्वालामुखी

    एकटा भूकम्प

    हमर चप्पलबाली मायक आँखिमे

    आश भरि गेल रहै

    गर्म चुलहाकेँ

    भरैत पेटक

    अखन

    चप्पल सब तँ अखनो सड़के पर अछि

    मुदा जुत्तासब

    जे तहिया चप्पल संगे सड़केपर दौड़ैत रहै

    दिशा बदलि लेने अछि

    हमर चप्पलबाली मायकेँ पेट अखनो खालिये अछि

    चुलहा अखनो ठंढे अछि

    हमर चप्पलबाली मायकेँ आँखिमे

    आक्रोश भरि गेल अछि

    तेँ आक्रोशकेँ गीत

    लिखाइते रहबाक चाही

    अग्नि-गीत गबैते रहबाक चाही

    चप्पलसबकेँ

    सड़क गर्म करिते रहबाक चाही।

    स्रोत :
    • पुस्तक : समय गीत (पृष्ठ 58)
    • रचनाकार : रोशन जनकपुरी
    • प्रकाशन : मैथिली विकास कोष, जनकपुर
    • संस्करण : 2013

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY