Font by Mehr Nastaliq Web

खण्ड : अखण्ड

khanD ha akhanD

सुरेन्द्र झा 'सुमन'

अन्य

अन्य

सुरेन्द्र झा 'सुमन'

खण्ड : अखण्ड

सुरेन्द्र झा 'सुमन'

और अधिकसुरेन्द्र झा 'सुमन'

    तो गिरिके अणु, अणुके पुनि परमाणु, तकर पुनि खण्ड-प्रखण्ड

    बनबह गिरिके शिला, शैलके कंकड़, सैकत कण शत-खण्ड

    तोहरा छह बल विज्ञानक विस्फोटक त्रोटक ध्वंसक हन्त!

    द्रवित द्रव्यके करह वाष्पमय अग्निक दाह प्रवाह अनन्त

    हम गढ़इत छी प्रतिमा धूलि माटि-कणके कय सलिलक सेक

    जे जत बिखड़ल शत सहस्र कण, कय तनि संहत संगत एक

    विश्लेषणके संश्लेषणमे परिणत करब हमर संकल्प

    भूमिक लघिमाके भूमामे बदलि अल्पके करी अनल्प

    वाक्य हमर ऐकिक आरम्भिक तोहरा पद-खण्डक आवेश

    तो प्रदेशके देश कहह, हम विश्वहिके कुटुम्ब परिवेश

    विश्वनाथ वा जगन्नाथ व्यापक विभु विष्णु विराट महान

    हमर देवता सहस नाम रहितहुँ कखनहुँ गनित अभिधान

    तोहर दिव्यता बाष्प-द्रव्यमय, जड़मय सीमित कक्ष समक्ष

    जकर लक्ष्य नरता वानरता मानवता नवता प्रत्यक्ष

    हम अपवर्गक पथक पथिक, तो वर्ग-वर्गमे बाँटह स्वर्ग

    नर मात्रहिके नारायण बनबी, तो नरक नरक संवर्ग

    लघुतम तोहर गणित अगनित नित हमर महत्तम कलना एक

    भिन्न व्यकलनक बनह हिसाबी, ऐकिक नियम एम्हर अछि टेक

    भाषा प्राकृत-विकृत विभाषा, अनुसृत संस्कृति प्रकृतिक मूल

    हम पद मूलक विदित उपासक, तो शीर्षकहिक पकड़ह चूल

    गगन अनन्त नखत कन गनइत तो संख्यानक विज्ञ विशेष

    हम धराक आख्यानहि बुझलहुँ शेषक शय्याश्रयी अशेष

    'अणोरणीयान' बुझले-गमले, तदपि महीयान्अन्तिम तत्व!

    भूमा सुख, ते मृतक अमृत असत्सँ सत, लघु सँ पूर्णत्व॥

    कतबहु खण्डक बनह विभाजक, भाग-भागमे विभजन-व्यग्र

    हम अखण्ड ऐक्यक संकतेक एक निकेतन कलित समग्र

    'भूमा वै सुख' हमर सुखक सीमा असीम अछि ज्ञान अनन्त

    तोहर खण्डनक खण्ड कय सकबे अखण्डके खण्डित अन्त

    स्रोत :
    • पुस्तक : रचना संचयन (पृष्ठ 55)
    • संपादक : चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’/ शंकरदेव झा
    • रचनाकार : सुरेन्द्र झा ‘सुमन’
    • प्रकाशन : साहित्य अकादेमी
    • संस्करण : 2012

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY