Font by Mehr Nastaliq Web

परिचय बनैत शब्द

मुख्तार आलम

अन्य

अन्य

मुख्तार आलम

परिचय बनैत शब्द

मुख्तार आलम

और अधिकमुख्तार आलम

    दुनिया भरिक देश

    सुख, शांति उल्लासक लेल

    कए रहल छैक कतेक ब्योंत

    हजारक-हजार मिसनरी लागल छैक

    सुख, शांतिक उद्यममे

    से आइयेसँ नहि

    जुग-जुगसँ

    राम, कृष्ण, बुद्ध, महावीर

    ईसामसीह, पैगम्बर मुहम्मदसँ लऽ कऽ

    गाँधी धरि कयलनि

    शांति स्थापित करबाक

    अनेकानेक यत्न

    मुदा झार-फानुस

    खऽर-पात जकाँ

    दिने-दिन पसरि रहल अछि

    अशांतिक साम्राज्य

    सीरिया, इरान, इराक

    पाकिस्तान, अफगानिस्तान

    कोरियेसँ नहि

    दुनियाक आनोआन देशसँ

    अलोपित भए रहल अछि

    शांति

    शांतिक बहुत बेगरता छैक

    मनुक्खताक लेल

    सुख उल्लासक लेल

    मुदा गामो-घरमे

    एकटा परिचय बनि रहल अछि

    अशांति

    एहन मरखाह समयमे

    अशांति एकटा शब्देटा नहि

    डर, भय, मानवीय मूल्य

    विश्वासक विखण्डित

    हेबाक परिचय अछि

    ताहि लेल एकटा शब्द

    बनि जाइत अछि

    परिचय।

    स्रोत :
    • पुस्तक : परिचय बनैत शब्द (पृष्ठ 48)
    • रचनाकार : मुख्तार आलम
    • प्रकाशन : मुख्तार आलम
    • संस्करण : 2021

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY