(तुलनात्मक बरहमासा)
मधु निकुञ्जमे जाउ अहाँ, फागुनक फाग धुनि गाउ
रंगिनि संगिनि संग अंग रुचि रंग अबीर लगाउ
हमरा चैत चेताबय चित चढ़ि, चर-चाँचर चलि जाउ
खेतक मोती दाना चुनि-चुनि घर खरिहान सजाउ
अहँक विशाखा सखी सिखाबय राधा बाधा दाह!
हरि सकबे हरि! विरमि-विलमि वन विजन सघन तरु छाँह
हमर जेठ तपि हठि वर्षा हित कहय, तपसि तपि जाउ
श्रम-बिन्दुक संचय करइत, घन गगन स्वयं उमड़ाउ
अहँक अषाढ़ प्रथम दिवसहिमे असह विरह-अभिभूत
अभिशापित अचेत गिरि-शिखरहि पठबय मेघक दूत॥
घन श्यामक आगमन आङनहि, वन-वन विकच कदम्ब
साओन हमर सोहागिन सजबय केश-वेश घन लम्ब
नित्य सहज संयोग, धरणि-अम्बर अछि एकाकार
हरित-भरित वसुधा दृग अंचल प्रकृतिक सुचिर सिङार
'ई भर बादर भादर' अहँक गबैछ 'दुखक नहि ओर'
हमर सहज आसिन आशा लय पोछ्य आँखिक नोर
कातिक बातिक कन्त जराबय घर भरि अहँक इजोत
किन्तु तेरहम बितइछ घर-घर ककरहु ई न इरोत॥
अगहन गहन हमर अन-धन जे भरय खेत-खरिहान
निर्भर हर्षक वर्ष जाहि पर भरि सबतरि धन-धान
पूस हूस अछि तूस-तुराइ बिना हिम-राति कटैत
जाड़-ठाड़ गड़इछ जन-परिजन अहँक पुसौठ अछैत
सीर पंचमी माघ जोत जत हमर किसानी ठाठ
हर-फारक चालन, संचालन वेद विप्र घन-पाठ
माघक श्री पंचमी हमर दिग्देश वसन्त सजैत
अहँक पुरै अछि रंग-रभस पुनि फागुन राग रचैत
फाग राग रुचि अहँक हमर शुचि चैताबरिक प्रसंग
कोना तखन समगम सरिगम धुनि विषय दुहुक रुचि-रंग
- पुस्तक : रचना संचयन (पृष्ठ 54)
- संपादक : चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’/ शंकरदेव झा
- रचनाकार : सुरेन्द्र झा ‘सुमन’
- प्रकाशन : साहित्य अकादेमी
- संस्करण : 2012
Additional information available
Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.
About this sher
rare Unpublished content
This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.