Font by Mehr Nastaliq Web

ढोलहो

Dholho

राज

राज

ढोलहो

राज

और अधिकराज

    सुनै जाउ!

    सुनै जाउ!

    सुनै जाउ!

    कान खोलि कें

    सुनै जाउ!

    रंग महल के

    शाही फरमान।

    कोइली पर

    साफे क’

    रोक लगा

    देल गेल छै

    धोखो स'

    बहार नै करय

    अपन पंचम तान

    मुरंगा पपिहरा

    किन्नौ ने क' सकै-ए

    भोरक सलाम

    अधिकार

    कौवा के देल गेलैए

    सभ दिन

    अहलभोरे

    आओत

    विसर्जित

    पारस पाओत

    आङने-आङन

    दलाने-दलान

    हजूर नबीसक

    प्रशंसामे

    गाओत।

    सिंह सभ के

    सिंहद्वारि पर

    असेधि

    ठाढ़ क' देल गेल छै

    गीदर सभ

    सम्हारत कमान।

    द्वारि पर

    होइत रहत

    वृंदगान

    कोप भवनमे

    फेर कोनो

    नवकी रानी

    रूसलि

    प्रशिक्षित

    बनरनी सन

    प्रतीक्षामे

    मनौतीक

    मानक संग

    राज भवनमे

    चलैत रहत

    एहिना

    हिजड़ा समुदायक

    मतव्यक्तिक

    नवाधिकारक संग

    बम चिक

    नाच-गान

    केहुनी

    फरका-फरका

    'दिल' पार

    बलू ठोर पर

    'हाय मेरा

    ये दिल धड़का'।

    स्रोत :
    • पुस्तक : ऐ अकाबोन मे (मैथिली कविता-संग्रह) (पृष्ठ 110)
    • रचनाकार : राज
    • प्रकाशन : नवारम्भ, पटना
    • संस्करण : 2011

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY