Font by Mehr Nastaliq Web

अपमान-बोधि

apman bodhi

गंगेश गुंजन

अन्य

अन्य

गंगेश गुंजन

अपमान-बोधि

गंगेश गुंजन

और अधिकगंगेश गुंजन

    कोनो नितान्त आत्मीय कतऽ

    पहुँचि कऽ पओलहुँ

    घरपर नहि रहय

    यद्यपि हमरा बजओने छल।

    एक टा अपमान बोधक बात रहैक।

    हमर व्यक्तित्वक सामाजिक आइयो आहत अछि।

    ईश्वर!

    अहाँक देशमे आबि

    प्रचलित अहाँक प्रतिनिधि धारणा सभसँ सेहो ओहने बोध भेल।

    अहाँ अनुपस्थित रहलहुँ आद्यन्त।

    समाजमे पसरल

    अहाँक धारणा

    प्रवास प्रसंग जकाँ लगैत अछि।

    हम अपमान अगिले कोनो गाड़ी धरि सहि सकब।

    कारण, अहाँक अनुपस्थितिमे व्याप्त

    अहाँक धारणा सभ

    मात्र एक टा दायित्वहीनक हेतु कवच-कथा सन लगैत अछि।

    आब अपनहुँक मिथ्या परिचय हम

    एकबार सभमे पढ़ि लेल करब।

    स्रोत :
    • पुस्तक : मैथिलीक नव कविता (पृष्ठ 141)
    • संपादक : रामकृष्ण झा ‘किसुन’
    • रचनाकार : गंगेश गुंजन
    • प्रकाशन : सांस्कृतिक विभाग, सुपौल, बिहार
    • संस्करण : 1971

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY