गेल्ह सभ झाड़ैत अछि पाँखि
gelh sabh jhaDait achhi pankhi
चिड़ैक चहकबसँ
खुजैत अछि आँखि
हमरा जागऽसँ पहिनहिं
अपन खोँतासँ बहरा जाइत अछि चिड़ै
चहकऽ लगैछ
आ, ओकरे चहकबसँ
हमरा होइत अछि
भोर होयबाक आभास।
चिड़ै धऽ लैत अछि आकाश।
ओकर गेल्ह सभ
खोँतासँ भीतर अबैत-जाइत अछि
ओ उड़ि नहि सकैछ माय-बाप जकाँ
तकैत रहैछ बाट
जयतैक ओकरा लोलमे अन्न
झाड़ैत रहैछ अपन छोट-छोट पाँखि
ओकरा हड़बड़ी छैक उड़बाक
- पुस्तक : गेल्ह सब झाड़ैत अछि पाँखि
- रचनाकार : मेनका मल्लिक
- प्रकाशन : चतुरंग प्रकाशन
- संस्करण : 2017
Additional information available
Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.
About this sher
rare Unpublished content
This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.