खाली बहिरंग बदलै छै
khali bahirang badalai chhai
एमरीदा
फेर उमड़लै
कोसी, बागमती
गंडक आ कमला
दहा गेलै
फेनो
गामक-गाम
चास आ बास
मोनक हीरामनि सूगा
फेनो उदास
चास भसलै
बास भसलै
रहल-सहल
आस आ बिसबास
भसलै
बेर-बेर
रंग बदलै छै
ढंग बदलै छै
नाटकक नाम
आर स्वाद
बदलै छै
नायक
खलनायक
आ विपटाक
आङ बदलै छै
पार्श्व थीरे रहै छै
खाली बहिरंग
बदलै छै।
- पुस्तक : ऐ अकाबोन मे (मैथिली कविता-संग्रह) (पृष्ठ 79)
- रचनाकार : राज
- प्रकाशन : नवारम्भ, पटना
- संस्करण : 2011
Additional information available
Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.
About this sher
rare Unpublished content
This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.