Font by Mehr Nastaliq Web

नगरमे घोल भेलै

nagarme ghol bhelai

मायानंद मिश्र

मायानंद मिश्र

नगरमे घोल भेलै

मायानंद मिश्र

और अधिकमायानंद मिश्र

    नगरमे घोल भेलै, काल्हि बयान देतै

    कहैछ लोक सब, बताह छै, चलान हेतै

    कतेक छोट देहमे कतेक आँखि भेलै

    कहैछ गाछ तरक लोककेँ मकान देतै

    कतेक हाथ ओकर हाथ लेल उठइत छै

    नगर के बौक सभक हाथमे कृपाण देतै

    बिहाड़ि संगमे चलैत छै ओकर सदिखन

    देबाल तोड़ि देबा लेल परान देतै

    जकर चरण अकाशमे उड़ैत छै सदिखन

    उड़ैक भेद सभक खोलिकेँ प्रमाण देतै

    डुबल छलै अन्हारमे जते, जते सहमल

    सभक अकाश हेतै सऽब लेल चान हेतै

    स्रोत :
    • पुस्तक : अवान्तर (पृष्ठ 9)
    • रचनाकार : मायानन्द मिश्र
    • प्रकाशन : मैथिली चेतना परिषद्, सहरसा
    • संस्करण : 1977

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY