Font by Mehr Nastaliq Web

अन्हेर बात थीक, गीत एखन गाबै छी

anher baat theek, geet ekhan gabai chhi

मायानंद मिश्र

मायानंद मिश्र

अन्हेर बात थीक, गीत एखन गाबै छी

मायानंद मिश्र

और अधिकमायानंद मिश्र

    अन्हेर बात थीक, गीत एखन गाबै छी

    नजरि पड़ैछ जेम्हर, आँखि चढ़ल पाबै छी

    जतेक मोड़ छल गलीक से अन्हारे छल

    टुटैत साँझसँ भोरक कथा बनाबै छी

    जिबैत देखि जीवनो हँसैछ जीवनपर

    घटाव केर हिसाबमे एखन जोड़ाबै छी

    बहुत भेटैत अछि, बहुत-बहुत उताहुल सन

    पजरि जे आगि रहल से कने जगाबै छी

    बसल कतेक गाम गीत केर उजड़ि गेलै

    हँसीक दोग महक नोरकेँ बचाबै छी

    कतेक आँखिसँ सपना टुटैत खसि पड़लै

    खसल जकर जतेक पल, तकर उठाबै छी

    स्रोत :
    • पुस्तक : अवान्तर (पृष्ठ 20)
    • रचनाकार : मायानन्द मिश्र
    • प्रकाशन : मैथिली चेतना परिषद्, सहरसा
    • संस्करण : 1977

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY