Font by Mehr Nastaliq Web

बच्चाक हँसी

bachchak hansi

शान्ति सुमन

शान्ति सुमन

बच्चाक हँसी

शान्ति सुमन

और अधिकशान्ति सुमन

    प्रार्थनाकेर आखर जकाँ अछि झुकल

    लोक-वेद गाछ-पातक जिनगी

    कोय घटना जनम आब लेते करत

    दूरि भए जायत अन्हारक सदी

    समय नहि छैक सोचैक लेल

    कोना समायल अन्हार फूलमे

    कोना परय चाबुक हड़तालपर

    बहैछ लहू रसताक धूरिमे

    ढहलो जा रहलय अछि जिनगीक किला

    दूखल उदास मनसँ हाथक वन्दगी

    सपनाक कंठकेँ घोंटि दए जे

    चलू संग तलाशू ओहि हाथकेँ

    मुखबिरी करय रहय बीचमे

    मुँह चीन्ह मेटू ओकर बातकेँ

    एहि स्याह भूमिकाक अंतके बिना

    पानि साफ कतहु नहि देत नदी

    बच्चाक हँसी बजत मायक नीनसँ

    बच्चाक नीनमे हँसत रोसनी

    अन्हार कोखिसँ फुटत किरिनक आखर

    बिछा देत बाध बोन लाल आसनी

    फूल-पातमे वसन्त आयत एना

    हँसत घाट-बाट छीटि कए हरदी

    स्रोत :
    • पुस्तक : मेघ इन्द्रनील (पृष्ठ 107)
    • रचनाकार : शान्ति सुमन
    • प्रकाशन : अभिधा प्रकाशन
    • संस्करण : 2005

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY