अकाल
हथिया बरिसल एको बुन्द नहि,
विसुखल गाय जकाँ।
मेघ पड़ायल मुँह बिधुऔने,
रूसल जमाय जकाँ।
खेत पानिसँ रहित भेल,
समधी केर आँखि जकाँ।
धूरि उड़ै अछि चौरोमे,
बगुला केर पाँखि जकाँ।
अछि दराड़ि मुँह बौने सबतरि,
बऽरक बाप जकाँ।
महगी चढ़ल माथ पर अछि
सीता केर श्राप जकाँ।
धानक मूँह सुखाइत अछि,
कन्यागत-प्राण जकाँ।
पेट किसानक पचकि गेल अछि,
खखरी धान जकाँ।
बड़दक दाम बढ़ल जाइत अछि,
बऽरक मोल जकाँ।
जन मजदूरक बात बिकाइछ,
कनेयाँक बोल जकाँ।
रब्बिक आशा टूटि रहल
मुनिगा केर ठारि जकाँ।
जनता मनमे उमसि रहल अछि,
मैथिल नारि जकाँ।
- पुस्तक : हरिमोहन झा रचनावली खण्ड-4 (पृष्ठ 56)
- रचनाकार : हरिमोहन झा
- प्रकाशन : जनसीदन प्रकाशन
- संस्करण : 1999
Additional information available
Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.
About this sher
rare Unpublished content
This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.