Font by Mehr Nastaliq Web

तैयो

taiyo

बिभूति आनंद

अन्य

अन्य

और अधिकबिभूति आनंद

    हम

    गाममे नहि छी

    मुदा गाम तँ अछिये

    हवा अछि

    हरीतिमा अछि

    दीयाबाती, छठि अछि

    भरदुतिया

    फगुआ सेहो अछि

    मुदा ओतऽ हहारो नहि अछि

    ताही हहारोकेँ तकबा लेल

    छोड़लहुँ अपन भूमि

    अपन खेत, अपन खरिहान

    अपन निर्मित चार,

    चारक नीचाँ थापित गोसाउनि

    मुदा आइधरि

    नहि भेटि सकल हहारो

    ओकर निर्वाध

    अकलंकित संगीत...

    भूखो नहि घटल

    रोजे इंद्रधनुष देखैत छी

    आँखि अपन जुड़बैत छी

    एहि अकलबेरमे

    सभ साल मुदा

    गाम जरूर सोर पाड़ैये—

    घुरि जाउ,

    पुरुबक सुरुजदेव

    अर्घ्य लेल बजबैत छथि नित्तो!...

    स्रोत :
    • पुस्तक : शब्दकेँ नहबैत (पृष्ठ 22)
    • रचनाकार : बिभूति आनन्द
    • प्रकाशन : किसुन संकल्प लोक
    • संस्करण : 2019

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY